विकिमिडिया बङ्गलादेश स्थानीय विद्यालय जाए वाला विद्यार्थीके विकिपीडिया चलबै के लेल प्रेरित कऽ रहल अछि

चिटागोङ्ग अग्राबाद सरकारी कोलोनी उच्च विद्यालयके विद्यार्थीसभ कार्यक्रममें ‘डब्लु’ चिन्ह देखाबैत । तस्वीरमोतिउर रहमान ओनीद्वारा, विकिमिडिया कमन्स, मुक्त प्रतिलिपि अधिकार सिसि-बाय-यसए ४.० अन्तर्गत अछि।

बङ्गला विकिपीडियाके अङ्गके रूपमें दशम वार्षिकोत्सव सम्मेलनमें, बङ्गाली विकिमिडिया समुदाय आर विकिमिडिया बङ्गलादेश स्थानीय निगम विकिपीडिया प्रेरित कार्यक्रम देशके सभ विद्यालयमें आयोजित केलक ।

राजशाही कोलेगिएट विद्यालयके प्रयोंकतासभ। तस्वीरनाहिद सुल्तानद्वारा, विकिमिडिया कमन्स, मुक्त प्रतिलिपि अधिकार सिसि-बाय-यसए ४.० अन्तर्गत अछि।

नौ टा कार्यक्रममें सँ, ३ टा ढाका, चाएर टा चिटागोङ्ग, एक टा पटग्राम उपजिला, आर एक टा राजशाहीमें केल गेल छल । कार्यक्रममें स्थानीय विकिपिडीयन, विद्यालय शिक्षक, सांस्कृतिक क्लबके उपस्थिति छल जे कार्यक्रम सफल बनेलक । सत्तर टा औषत विद्यार्थीके उपस्थिति प्रति कार्यक्रममें छल जे ९ कक्षा सँ १२ कक्षा धरि छल । कार्यक्रमके देशभरिके मिडियाद्वारा छापल गेल जेहि में प्रोथम अलो पत्रिका छल ।[1]

पटग्राम सम्मेलनमें प्रतियोगीसभ । तस्वीर नाहिद सुल्तानद्वारा, विकिमिडिया कमन्स, मुक्त प्रतिलिपि अधिकार सिसि-बाय-यसए ४.० अन्तर्गत अछि।

एक टा सर्वेक्षण सभ कार्यक्रमसँ पहिने केल गेल जे सँ इ पता चलल जे आधा प्रतियोगीके विकिपीडियाके बारेमें मालूम नै छल आ एक भागके पाँच भाग विद्यार्थीके विकिपीडिया गुगलके भात्र परियोजना छी लागएत छल । आ १० भागके लागएत छल जे इ कोनो सरकारी संस्करण छी । आ १० भागके मात्र पता छल जे इ विश्वकोश छी । एगो आओर हैरानीके बात पता चलल जे विकिपीडिया सामान्यद्वारा सम्पादन केल जा सकएत अछि ।

इ बातसभ के ध्यानमें राखि हमसभ इ कार्यक्रमके बारेमें ध्यान देलौ जे सँ विकिपीडिया आ विकिमिडिया परियोजनाके पढए वाला प्रयोगकर्ताके संख्या बढए ।

अग्राबाद सरकारी कोलोनी उच्च विद्यालय (महिला) प्रतियोगीसभ । तस्वीर मोतिउर रहमान ओनीद्वारा, विकिमिडिया कमन्स, मुक्त प्रतिलिपि अधिकार सिसि-बाय-यसए ४.० अन्तर्गत अछि।

इ विद्यालय कार्यक्रम निश्चित रुपेन विकिपीडिया पढेवाला के संख्या बाढाएत- विकिमिडिया बङ्गलादेशके लक्ष्य अनुसार सम्पादनकर्ताके संख्यामें बढोतरीसँ बेसी पढए वाला लोगके संख्या बढोतरी केल जाए । बङ्गला विकिपीडिया सम्पादन करैबाला प्राय विद्यार्थी छी ।

हमरासभके अनुमानित परिणाम भेटल अछि: एगो विकिपीडिया क्लबक सृजना सहिद पुलिस स्मृति विद्यालयमें केल गेल । वो शिक्षकद्वारा छन्नी केल जाएत आ उत्सुक विद्यार्थी कोनो भी कक्षाके फारम भरि सकएत अछि । हमर सभक इक्षा अछि जे विद्यालय कार्यक्रमद्वारा विद्यार्थीके विकिपीडियाके बारेमें प्रेरित केल जाए जें सँ वो सभ वोकर फायदा ल सकै । आ शिक्षकके एहि कार्यक्रममें लुप्त केला सँ कार्यक्रम आबै वाला आगा वर्ष धरि रहि सकैत अछि ।

विद्यालय कार्यक्रम तस्वीर कमन्समें

नाहिद सुल्तान, सामुदायिक कार्यक्रम निर्देशक,
विकिमिडिया बङ्गलादेश

  1. कार्यक्रमसभ सहिद पुलिस स्मृति विद्यालय, मोतीझील सरकारी लडका उच्च विद्यालय, अग्राबाद सरकारी कोलोनी उच्च विद्यालय (लडका आ लडकी भाग), चिटागोङ्ग कोलेगिएट विद्यालय आ कलेज, सरकारी मुस्लिम उच्च विद्यालय, सरकारी विज्ञान कलेज आ उच्च विद्यालय, आर राजशाही कोलेगिएट विद्यालयमें संचालन केल गेल । लगभग १२० विद्यार्थी ६ टा भिन्न भिन्न संस्थानसँ अन्तिम कार्यक्रममें भाग लेलक ।