मैथिली विकिपिडिया १ बरिषक भेल

Translate this post

Maithili_Wiki_First_Anniversary_Celebration_Cake_11-7-2015_(1)

वार्षिकी केक फोटोग्राफर: विजय चौरसिया, फोटोसभ CC-BY-SA-4.0. लाइसेन्सक अन्तर्गत अछि ।

मैथिली विकिपिडिया अपन पहिल वार्षिकी ६ नवम्बर २०१५ मे पार केलक । ई कार्यक्रमक उत्साहजनक रूपसँ मनेवाक लेल विकिमिडियन अफ नेपालराजविराज विकिमिडिया समुदायक सदस्य समूह एकटा कार्यक्रमक आयोजना केलक । ई कार्यक्रममे मैथिली विकिपिडियामे आयोजना कएल गेल पहिल विकिथनक विजेतासभक पुरस्कारसँ सम्मानित आ पहिल वार्षिकी मनाओल गेल । सामुदायिक सदस्यसभ मैथिली विकिपिडियामे ४५ दिन लम्बा विकिथनक आयोजना केलक जेकर उद्देश्य मैथिली विकिपिडियामे लेख निर्माण आ परिमार्जन छल । विकिथन १ अक्टुबरसँ सुरू भ १९ नवम्बर धरि चलल । विकिथनमे ९९९ लेख निर्माण वा सुधार कएल गेल । अखन धरि मैथिली विकिपिडियामे १,५५७ लेख अछि ।

विकिथन प्रतियोगितामा सात मैथिली विकिपिडियनसभ हिस्सा लेलक । प्रतियोगिता समाप्त भेलाक बाद समुदाय विजेतासभक सम्मानित करए के लेल एकटा कार्यक्रम आयोजना केलक ।

कार्यक्रम आ पुरस्कार वितरण कार्यक्रम नेता चौक, राजविराज मे कएल गेल । कार्यक्रममे मैथिली विद्वान, मैथिली विकिपिडियन आ मैथिली पत्रकार आ सर्वसाधारणक उपस्थिति छल । मैथिली विकिपिडिया विकिथनक विजेता तुल्सी भगत (प्रथम), निलम कर्ण (दोसर), आर विजय चौरसिया (तेसर), क मैथिली साहित्य परिषदक अध्यक्ष सुभ चन्द्र झा पुरस्कार प्रदान केलक । कार्यक्रममे प्रतियोगीसभ निम्न बुँदा उपर बातचित केलक:

  1. लेखक आकार बढाएल जाए
  2. लेखक स्थिति सुधार
  3. मैथिली संस्कृति आ सम्पदाक चित्र अपलोड कएल जाए
  4. विकिथन आ वाह्य कार्यक्रमक आयोजना कएल जाए
  5. मैथिली आ अन्य भाषाक विकिपिडिया पर जोड देल जाए


कार्यक्रमक अन्त मे प्रतियोगीसभ केक काएट कार्यक्रम अन्त केलक । ई कार्यक्रम राजविराज टुडे, न्युज टुडे आर आजको वातावरण आर अनलाइन सप्तरी जागरणमे प्रकासित कएल गेल ।

बिप्लब आनन्द आर तुल्सी भगत विकिमिडियन्स अफ नेपाल

Archive notice: This is an archived post from blog.wikimedia.org, which operated under different editorial and content guidelines than Diff.

Can you help us translate this article?

In order for this article to reach as many people as possible we would like your help. Can you translate this article to get the message out?